Babujik Pustakalay : बाबूजीक पुस्तकालय

  • Home
  • India
  • Darbhanga
  • Babujik Pustakalay : बाबूजीक पुस्तकालय

Babujik Pustakalay : बाबूजीक पुस्तकालय बाबूजीक पुस्तकालय, मैथिली भाषा आ साहित्य के आजुक नव पीढ़ी तक पहुँचाबय लेल समर्पित अछि।

09/09/2026

मैं...
लक्ष्मेश्वर का विचार हूँ,
रामेश्वर की हुँकार हूँ,
कामेश्वर का संस्कार हूँ,
शुभेश्वर का परिवार हूँ,
कपिलेश्वर की पुकार हूँ...
मैं दरभंगा हूँ,
मैने इतिहास बदलते देखा है।
बड़े बड़े गढ़ों और किलों को मैने,
दीवारों पे टंगते देखा है।।
मैं दरभंगा हूँ,
मैने इतिहास बदलते देखा है।।

- मणिभूषण 'राजू'

07/09/2026

कतेक लोक ओकरा बना क अमीर भय गेल,
कतेक लोक ओकरा देखा क अमीर भय गेल।
किस्मत में छल टूटले रहब ओकर,
कियो बना क तोड़लक, कियो तोड़ि बनौलक,
मुदा दशक के दशक एहिना रहल, बस भय गेल।।
#टूटल_सड़क

- मणिभूषण 'राजू'

05/09/2026

मैं दरभंगा हूँ,
मैने इतिहास बदलते देखा है।
बड़े-बड़े गढ़ों और किलों को मैने,
दीवारों पे टंगते देखा है।।
मैं दरभंगा हूँ,
मैने इतिहास बदलते देखा है।।

- मणिभूषण 'राजू'

*”अथक–अविराम" यात्रा-संस्मरणक पोथी लेल डॉ. भास्कर ज्योति कें मैसाम युवा सम्मान 2026 घोषित*।मैथिली साहित्य, भाषा आ संस्कृ...
27/08/2026

*”अथक–अविराम" यात्रा-संस्मरणक पोथी लेल डॉ. भास्कर ज्योति कें मैसाम युवा सम्मान 2026 घोषित*।

मैथिली साहित्य, भाषा आ संस्कृतिक क्षेत्रमे निरन्तर सक्रिय रहनिहार डॉ. भास्कर ज्योति कें साहित्यिक आ सामाजिक योगदान लेल मैथिली साहित्य महासभा (मैसाम) द्वारा “मैसाम युवा सम्मान–2026” सँ सम्मानित कएल जेतनि।

एहि संबंधमे जानकारी दैत मैसामक अध्यक्ष हेमन्त झा, महासचिव अरुण कुमार मिश्र आ महासचिव आशीष नीरज कहलनि जे डॉ. भास्कर ज्योतिक साहित्यिक सक्रियता, सृजनशीलता आ मैथिली भाषा-साहित्यक प्रति हिनकर निरन्तर समर्पण प्रशंसनीय अछि। “अथक–अविराम” हुनकर साहित्यिक प्रतिभा आ यात्रानुभवक सशक्त अभिव्यक्ति अछि, जाहि लेल हिनका एहि सम्मान लेल चयनित कएल गेल अछि। डॉ. भास्कर ज्योतिक “अथक–अविराम" यात्रा-संस्मरण पोथी मात्र यात्रा-वृत्तान्त नहि, अपितु यात्रा माध्यम सँ जीवन, समाज, संस्कृति, लोकपरम्परा आ मानवीय संवेदनाक बहुआयामी दर्शन करबैत अछि। हिनकर लेखनीमे यात्राक दृश्य मात्र नहि, अपितु ओहि दृश्यक पाछाँक इतिहास, संस्कृति, लोकजीवन आ मानवीय अनुभूतिक सूक्ष्म चित्रण भेटैत अछि।

“अथक–अविराम” नामे जेना निरन्तर यात्राक भाव समाहित अछि, तहिना डॉ. भास्कर ज्योति कें साहित्यिक यात्रा सेहो निरन्तर गतिशील आ सृजनशील रहल अछि। हुनकर संस्मरणमे पाठक स्वयं यात्राक सहयात्री बनि जाइत छथि—कखनो अनजान भूगोल सँ परिचित होइत छथि, कखनो इतिहासक पन्ना पलटैत छथि आ कखनो लोकजीवनक आत्मीयता सँ साक्षात्कार करैत छथि।

मैसाम युवा सम्मान–2026 हुनकर साहित्यिक अवदानक सम्मान मात्र नहि, बल्कि मैथिलीमे नव पीढ़ीक सृजनशीलता, शोध-दृष्टि आ साहित्यिक सक्रियता कें प्रोत्साहित करबाक एक महत्वपूर्ण प्रयास सेहो अछि।

डॉ. भास्कर ज्योति जीकेँ एहि महत्वपूर्ण सम्मान लेल हार्दिक बधाई एवं अशेष शुभकामना।आशा अछि जे हुनकर लेखनी एहि तरहेँ मैथिली साहित्यक भण्डार कें समृद्ध करैत हिनक साहित्यिक यात्रा निरन्तर आगाँ बढ़ैत रहत।

 #मैथिली_थियेटर_वर्कशॉप 9 अगस्त, 2026 केँ उद्घाटित “मासिक नाट्य शृंखला”क सफलता सँ उत्साहित भ’ हमरा लोकनि आब नव पीढ़ीक धिय...
22/08/2026

#मैथिली_थियेटर_वर्कशॉप

9 अगस्त, 2026 केँ उद्घाटित “मासिक नाट्य शृंखला”क सफलता सँ उत्साहित भ’ हमरा लोकनि आब नव पीढ़ीक धिया-पुता केँ कला-संस्कृति आ नाटक दिस रुचि-जागरणक उद्देश्य सँ “मैथिली थियेटर वर्कशॉप” करबाक निर्णय लेल अछि। एकर पृष्ठभूमि “ओ डियर ग्लोबल विलेज”क लगभग अढ़ाई मास चलल तैयारी मे नुकायल अछि। तैयारी आ रिहर्सलक क्रम मे स्पष्ट लगैत रहल जे नाटक आ रंगमंच मे सक्रिय कलाकार लोकनि सेहो सरिया क’ मैथिली बुझैत, पढ़ैत आ उच्चरित नहि करैत छथि। दोसर, आब जखन अगिला साल फरवरी सँ जनगणना शुरू होयबाक अछि, एहना मे हमरा लोकनिक दायित्व बढ़ि जाइत अछि जे भाषा जागरण केँ केन्द्र मे राखि सेहो काज कयल जाए।

से दू आयु वर्ग मे बाँटि तत्काल एकटा “दस दिवसीय मैथिली थियेटर वर्कशॉप”क योजना बनल अछि। एकर पहिल चरण मे एखन केवल पटना निवासी धियापुता केँ शामिल करबाक नेयार अछि। ई प्रयास सफल भेल तँ जल्दीए एकरा विस्तार देल जायत।

एहि लेल आवश्यक जनतब संलग्न पोस्टर मे देल अछि; कृपया देखल जाए। एकरा समयबद्ध करबाक विचार अछि, से ध्यान राखल जाए। समस्त अभिभावक तथा पटनाक मैथिली साहित्य-संस्कृति आ समाजकर्मी लोकनि सँ विनम्र प्रार्थना जे अपन-अपन आस-पड़ोस आ सम्पर्कक धियापुता केँ एहि लेल प्रेरित आ उत्साहित करथि। ई वर्कशॉप नि:शुल्क अछि आ एकरा एक्के तिथि पर करबाक विचार अछि, मुदा दुनू आयु वर्ग लेल समय अलग-अलग रहत, पठन-पाठन आ सन्दर्भ-सामग्री अलग-अलग रहत। अपने लोकनिक सकारात्मक सहयोग आ वैचारिक समर्थनक हार्दिक कामना...
Maithil Manch :: The Mithila Art Store

प्रसिद्ध मैथिली लोकगायक तथा वाद्यवादक श्री महेन्द्र राम (भटसिम्मरि, मधुबनी) केँ भारतक संगीत-नाट्य अकादमी सम्मान प्राप्ति...
13/08/2026

प्रसिद्ध मैथिली लोकगायक तथा वाद्यवादक श्री महेन्द्र राम (भटसिम्मरि, मधुबनी) केँ भारतक संगीत-नाट्य अकादमी सम्मान प्राप्तिपर हार्दिक बधाइ।

मोन पड़ै छथि दीनानाथ पाठक 'बन्धु',बखरी,बेगूसराय(12 अगस्त,1928-14.12.1962)"शासक होइछ न जन्मजात क्यो,नहि अदृष्ट फल-भोगीराज-...
12/08/2026

मोन पड़ै छथि दीनानाथ पाठक 'बन्धु',बखरी,बेगूसराय
(12 अगस्त,1928-14.12.1962)
"शासक होइछ न जन्मजात क्यो,नहि अदृष्ट फल-भोगी
राज-नीति दृढ़-पथ-अनुरागी सतत कर्म कर योगी
जनतासँ विश्वास-प्राप्त-नर शासन-सूत्र सम्हारय
जन-हितकारक-कार्य-व्यूहसँ जत मर्यादा पालय
पुत्र-प्रजामे भेद न मानय, देशक भाग्य-विधाता
मेघ गगनसँ ऊँच नीचपर हो समान रसदाता।"
-- श्रद्धांजलि!

 #बाबूजीक_पुस्तकालय मे उपलब्ध मैथिली कविताक पोथी केर सूची उपलब्ध अछि। अन्य पुस्तक के उपलब्धता में संग आ सहयोग हेतु कृपया...
08/08/2026

#बाबूजीक_पुस्तकालय मे उपलब्ध मैथिली कविताक पोथी केर सूची उपलब्ध अछि। अन्य पुस्तक के उपलब्धता में संग आ सहयोग हेतु कृपया 8826566136 पर सम्पर्क करी ई आग्रह ।*
धन्यवाद!!
Maithili : Kavita

Maithili : Kavita नाम :चाणक्य लेखक : स्व. दीनानाथ पाठक ‘बन्धु’ प्रकाशन : मैथिली ग्रन्थमाला प्रकाशन हनुमानगंज, मिश्रटोला, दरभंग...

                                       के संयोजन में   नाम सँ मिथिलाक विभिन्न कला सँ बनल सामग्री सबके उपलब्धता सुनिश्चित...
18/01/2026




के संयोजन में नाम सँ मिथिलाक विभिन्न कला सँ बनल सामग्री सबके उपलब्धता सुनिश्चित करैत अछि अहाँ सबलेल।
MithilaPainting MadhubaniPainting सँ सजल साड़ी, सूट, कुर्ती, दुपट्टा, पाग, दोपटा, जूट बैग, पेंटिंग, आरो अनेकों उपहार उपलब्ध अछि।
विवाह, उपनयन आदि समस्त आयोजन मे उपयोग होबयवला बस्तु संगहि अन्य MakeInMithila MadeInMithila CustomizedProducts उपलब्ध अछि।


सादर धन्यवाद,
मैथिल मंच
8826566136
Maithil Manch :: The Mithila Art Store 082078 20236, 7782850336, 9296326049

Address

Maithil Manch
Darbhanga
846004

Alerts

Be the first to know and let us send you an email when Babujik Pustakalay : बाबूजीक पुस्तकालय posts news and promotions. Your email address will not be used for any other purpose, and you can unsubscribe at any time.

Contact The Organization

Send a message to Babujik Pustakalay : बाबूजीक पुस्तकालय:

Shortcuts

Share

Category